Posted by: akawi April 24, 2009
kantipur maithili
Login in to Rate this Post:     0       ?        

अगिलगि मिझाबलेल गेलापर १३ सैनिक जरल

टिका भट्ट

रामेछाप, रामेछाप अस्पताल नजदिक लागल अगिलगि मिझाबलेल गेल १३ सैनिकके बृहस्पति जरिक मृत्यु भेल छै ।

अस्पताल लगेमे अगिलगि अएलापर नियन्त्रण प्रयास करिते ओकरासबके मृत्यु भेल छै । नियन्त्रणमे गेल एक सैनिक आओर एक प्रहरी सुरक्षित छै ।

पहाडमे अवस्थित अस्पतालके दक्षिणी दिसस आगि लगिते अएलाकेबाद उ सैनिकसब आगि आएलदिस -ओरालो) मिझबैत झरैत छलै । घटनास्थलमे पहुँचल सुरक्षाकर्मीके अनुसार सुखल सल्लिपिर आओर गाछ मोट भेल जगहमे रहल एकटा छोट नदीमे पहुँचल ६ सैनिक एके जगहमे जरल अवस्थामे पाओलगेल छलै । आओर शव कहलक जतततस संकलन कएल छलै । सब शव चिह्न नै सकबला कक जरल छलै । नीचास उपर अबैत कएलक आगिके धधरास भेटलापर उसब भागके मौका नैभेटल अनुमान छै ।

बिहान १० बजे आगि लागल जानकारी पएलाकेबाद ओकर एक घन्टा बाद रामेछाप बैरेकस उसब आगि मिझाबलेल खटल छलै । लगातार ४ घन्टा लगाक आगि नियन्त्रणमे लेबला लगलास एक सैनिक जुत्तासहित शव देखलापर उसब अपन साथीके खोजीमे जुटल

छलै । अगलगीमे पर्दा कोलाहलस किछु नै सुनएलाके कारण ओकरासबके उद्धार करलेल नै सकल एक सुरक्षाकर्मी बतेलक । शव भिन्सर ३ बजे घटनास्थलस निकाललगेल छलै । घटनास्थलमे जम्मा परल सब शव सेनाके श्रीजंग गणके एरियामे करिब साढे तीन घन्टा राखिक परीक्षणके लेल हेलिकप्टरस काठमाडौं पठाओलगेल छै ।

घटनाके जानकारी पएलाकेबाद रक्षामन्त्री रामबहादुर थापा मेघ सेनाके दोसर हेलिकप्टर लक भिन्सर ५ बजे रामेछाप पहुँचल छलै । उ घटनास्थल निरीक्षण कएलक छलै । सेना उच्च बहादुरिके साथ बडका क्षति होबस जोगएलाके कारण धन्यबाद दैत मृत्यु भेल सैनिकके बहादुरिके उ कदर करलक । उ सैनिकके परिवारके सरकार यथासक्य जल्दी क्षतिपूर्ति देबके सेहो उ बतेलक । ओकरासाथे सेनाके उच्च अधिकारी सेहो रामेछाप आएल छलै ।

आगि लागल जानकारी पबिते सदरमुकाम मन्थलीस प्रजिअ जितेन्द्रबहादुर भण्डारी, सशस्त्र प्रहरी, जनपथ प्रहरी, राजनीतिक दलके प्रतिनिधि, सञ्चारकर्मी आओर डाक्टर घटनास्थलदिस गेल छलै । मन्थलीस टोली पहुँचलापर आगि नियन्त्रणमे आइबगेल छलै । सेनाके १३ आदमीस जान हेरागेल जानकारी पएलाकेबाद स्थानीय बासिन्दा भावविह्वल भेलै ।

प्रजिअ भण्डारिके अनुसार अस्पतालस दक्षिण पुरुबके अगिलगि साँझ फेर फैल शुरुकाएल छै । अगिलगि सेनाके दोसर टुकडी भेल सुकाजोर टेलिकम टावरदिस जाएके भय बढल

छै । साँझ हावासँगे आगि बढलेल शुरुकरलापर सैनिक आओर प्रहरिके उच्च सतर्क कराएल छै ।

रामेछापमे अगलगीमे मृत्यु भेल सैनिक

१. पियुठ धनबहादुर विष्णु बाँके नववस्ता-२

२. पियुठ पूर्णबहादुर तामाङ लेखिम-५, सोलु

३. सिपाही रामशरण कार्की -

४. अमल्दार टोपबहादुर न्यौपाने रसुवा भोर्ले-७

५. हुद्दा छत्रबहादुर बस्नेत रस्नालु-१, रामेछाप

६. सिपाही सन्तोष महत नखेल-६, भक्तपुर

्७. सिपाही इन्द्रबहादुर बम सडा-९, कञ्चनपुर

८. पियुठ जयराज केसी सुडाल-५, भक्तपुर

९. सिपाही सन्तोष सुनुवार हेटौंडा

१०. सिपाही निरबहादुर खड्का नामाडी, रामेछाप

११. सिपाही ओमकार बस्नेत माईस्थान-२, महोत्तरी

१२. सिपाही युवराज गिरी सापिङ, काभ्रे

१३. सिपाही प्रकाश अधिकारी गुहेश्वरी-४, भक्तपुर

Posted on: 2009-04-23 20:33:06

 


Last edited: 24-Apr-09 02:32 AM
Last edited: 24-Apr-09 02:33 AM
Last edited: 24-Apr-09 02:34 AM
Read Full Discussion Thread for this article